बिहार मे अपराधी’क तांडव जारी, ड्यूटी पर तैनात दरोगा के मारलक गोली

    0
    274

    भागलपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे पुलिसकर्मी पर होबय वला हमला मे लगातार इजाफा भय रहल अछि। एहेन मे एकटा प्रश्न उठैत अछि जे, जहन सुरक्षा व्यवस्था अपने नहि सुरक्षित अछि त लोक कोना सुरक्षित रहत? ताजा मामला भागलपुर के अछि, जतय तिलकामांझी थाना मे पदस्थापित एकटा दरोगा के ड्यूटी के दौरान अपराधी गोली मारि देलक।

    गोली लगबा सं घायल दरोगा के इलाजक लेल मायागंज अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि। घायल दरोगा के नाम ईश्वर दयाल सिंह बताओल जा रहल अछि। जख्मी दरोगा के अनुसार दरोगा के मां लक्ष्मी के प्रतिमा विसर्जन के लेल मुंदीचक मे तैनात कायल गेल छल।