केवीएस कॉलेज’क औचक निरीक्षण केलनि कुलपति डा. राजकिशोर झा

    0
    285

    मधुबनी, मिथिला मिरर: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय कें कुलपति डा. राजकिशोर झा मंगलदिन कालीदास विद्यापति साइंस कॉलेज उच्चैठ’क औचक निरीक्षण केलनि। निरीक्षण के दौरान शिक्षक व शिक्षकेतर कर्मचारी’क उपस्थिति देखि ओ संतोष प्रकट केलनि। ओ कॉलेजक समस्या सं अवगत भेलाह। खासकय आधा दर्जन सं अधिक विषय मे शिक्षकक पद रिक्त रहबाक मामला के कुलपति गंभीरता सं लेलनि।

    कुलपति केवीएस कॉलेजकें विकसित करबा, रसायन शास्त्र, गणित, भूगोल, तर्कशास्त्र, मनोविज्ञान, उर्दू, अंग्रेजी विषयक रिक्त पदक अविलंब भरबाक लेल सार्थक पहल कें आश्वासन देलनि। जहन कि महाविद्यालय मे कार्यरत 35 गोट कर्मचारीक वेतन भुगतान वर्षो सं नहि भेटला पर ओ दुख प्रकट केलनि। संगहि अहि कार्मिक भुगतानक लय अप्पन संवेदनशीलता देखबैत कुलसचिव सं दूरभाष पर कर्मिक भुगतानक अवरोध कें जानकारी लेलनि।

    कुलपति ग्रामीण अंचल मे अवस्थित कालिदास, विद्यापति महान विभूतिक नाम पर स्थापित केवीएस कॉलेजक विकास के गति प्रदान करबाक लेल पहल के आश्वासन देलनि। निरीक्षण कें दौरान प्राधानाचार्य डा. ए समद अंसारी, डा. दिगंबर ठाकुर, डा. दुर्गा झा, डा. मंगलानंद मिश्र, प्रो. योगानंद झा, प्रो. विजय कुमार चौधरी, प्रधान सहायक उदयकांत झा, सत्यम, नारायण जी झा, धीरेंद्र कौशल, तारकेश्वर मिश्र, अरुण कुमार झा, देवेन्द्र मिश्र सहित सभी शिक्षक व शिक्षकेतर कर्मचारी मौजूद छलाह।