भारी मात्रा मे नेपाली शराब’क संग पांच गोट तस्कर गिरफ्तार

    0
    294

    मधुबनी, मिथिला मिरर: जयनगर थाना पुलिस भारी मात्रा मे नेपाली देसी व विदेशी शराब जब्त करैत पांच तस्कर के गिरफ्तार केलक अछि। थाना पुलिस दू जगह पर छापेमारी कय नेपाली शराबक संग तस्कर के के गिरफ्तार केलक अछि। डीएसपी सुमित कुमार कहलनि जे, जयनगर थाना क्षेत्रक कोरहिया गामक समीप पिकअप पर लय जा रहल नेपाली देसी व विदेशी शराबक संग गाड़ी मालिक एवं तस्कर के गिरफ्तार कायल गेल।

    पिकअप पर 300 एमएल के 450 बोतल नेपाली देसी शराबक एक कार्टून मे राखल 375 एमएल के 24 बोतल एवं 750 एमएल के नेपाली विदेशी शराब कें 6 बोतल शराब बरामद कायल गेल। शराबक संग मैक्सिको पिकअप कें मालिक कमलाबाड़ी गोठ टोलक विजय चौधरी एवं तस्कर लक्ष्मी चौधरी के गिरफ्तार कायल गेल अछि।

    दोसर दिस जयनगर सं 300 एमएल के 26 बोतल नेपाली देसी शराबक संग अकौन्हा गामक निवासी कारी यादवक पत्नी लीला देवी के गिरफ्तार कायल गेल अछि। ओतहि लश्करिया गाम निवासी नागे यादवक पत्नी अनिता देवी के 300 एमएल के 60 बोतल नेपाली देसी शराबक संग गिरफ्तार कायल गेल अछि। ओतहि जयनगर राजपुताना निवासी पंकज सिंह के शराबक नशा मे गिरफ्तार कायल गेल।

    डीएसपी सुमित कुमार प्रेस वार्ता कय कहलनि जे, अहि बाबत प्राथमिकी दर्ज कय सब गिरफ्तार तस्कर एवं पियक्कड़ के न्यायिक हिरासत मे पठा देल गेल अछि। ओ कहलनि जे, शराबक तस्करी मे शामिल लोक कें कोनो कीमत पर नहि छोड़ल जायत। प्रेस वार्ताक दौरान सर्किल इंस्पेक्टर उमाशंकर राय, जयनगर थाना अध्यक्ष अजय कुमार समेत अन्य पुलिस पदाधिकारी उपस्थित छल।