एगारह सूत्री मांग’क लेल दरभंगा मे भाजपा कार्यकर्ताक धरना

    0
    419

    दरभंगा, मिथिला मिरर: भाजपा’क कार्यकर्ता 11 सूत्री मांगक लेल मंगलदिन मंडल अध्यक्ष मणीकांत मिश्र’क नेतृत्व मे धरना-प्रर्दशन केलनि। अहि दौरान प्रर्दशनकारी प्रधानमंत्री आवास योजना, शौचालय निर्माणक राशिक भुगतान जल्दी करबाक, राशन-किराशन कूपन सं वंचित परिवारक कूपन देबाक, धान क्रय केन्द्र खोलबाक तथा कथित लूट खसौट करय वलाक खिलाफ कार्रवाईक मांग कय रहल छल।

    मौका पर भेल सभा के पूर्व विधान पार्षद मिश्री लाल यादव, जिप सदस्य दीपक कुमार मिश्र, जयमोहन झा, गणेश प्रसाद सिंह, सुनील कुमार झा, गणपति ठाकुर दिनेश मिश्र आदि संबोधित केलनि।