दरभंगा चतुर्थ अंतर्राष्ट्रीय फिल्मोत्सव जनवरी मे मनाओल जायत

    0
    259

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा फिल्म क्लब के राज्य समन्यवय कार्यालय शास्त्री चौक दरभंगा मे रविदिन चतुर्थ अंतर्राष्ट्रीय फिल्म महोत्सव’क लेल एकटा प्रेस वार्ता आयोजित कायल गेल। अहि वार्ता मे सर्वप्रथम दरभंगा फिल्म क्लब के संयोजक ललित कुमार झा प्रेस प्रतिनिधीक संग दरभंगा फिल्म क्लब’क स्थापना एवं एकर उद्देश्य तथा अंतर्राष्ट्रीय फिल्म महोत्सव के सफलता सं अवगत करौलनि। फिल्म महोत्सव की रूप रेखा होइ वला बदलावक चर्चा करैत ओ कहलनि जे, अगिला वर्ष 27, 28 तथा 29 जनवरी 2017 क चारिम दरभंगा अंतर्राष्ट्रीय फिल्म उत्सव के आयोजन कायल जायत।

    अहि अवसर पर दरभंगा फिल्म क्लब’क संस्थापक तथा चेयरमैन मेराज सिद्दीकी कहलनि जे, फिल्म आ मीडिया के क्षेत्र मे बिहार एहेन प्रदेशक पिछड़ापन अहि क्षेत्र मे काज करबाक हेतु संवेदनशील केलक। ओ कहलनि जे, सामाजिक सरोकार स जुड़ल मुद्दा के उठेनाइ आ फिल्मक माध्यम स ओकरा समाजक समक्ष प्रस्तुत करब अहि कार्यक्रमक मुख्य उद्देश्य अछि। ओ नव फिल्मकार एवं फिल्मक विभिन्न विधा स संबंधित लोक के एकटा नीक प्लेटफॉर्म देबाक दिशा मे सार्थक प्रयास दियेबाक आवश्यकता पर बल देबाक बात कहलनि।

    काफ आर्गेनाईजेशन के चेयरमैन अल्तमश अल्वी कहलनि जे, सांस्कृतिक रूप स समृद्ध बिहार खासकय मिथिलाक संस्कृति के अहि फिल्म फेस्टिवल के माध्यम स दूर देश तक पहुंचाओल जा सकैत अछि। ओ कहलनि जे, अहि दिशा मे आम जन स लय क सरकार तक के संवेदनशील हेबाक सकारात्मक पहल करबाक आवश्यकता अछि।

    वार्ता के अंतिम चरण मे फिल्मकार विजय कुमार कहलनि जे, ई फेस्टिवल फिल्म स जुड़ल सब कलाकार आ फिल्मकार के एकटा मंच दैत अछि, जाहि के द्वारा हम एक-दोसर सं अहि क्षेत्र स संबंधित सब महत्वपूर्ण विचार एवं तकनिकी ज्ञानक आदान-प्रदान कय सकैत छी।