ई-पंचायत सशक्तिकरण प्रशिक्षण के लेल बिहारक 40 गोट मुखिया चयनित

    0
    272

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: भारत सरकार के पंचायती राज मंत्रालय द्वारा बिहारक 40 गोट मुखियाक चयन ई-पंचायत सशक्तिकरण के तहत प्रशिक्षण के लेल कायल गेल अछि। जाहि मे दरभंगा जिला स बहादुरपुर प्रखंड के उघरा महपारा के मुखिया निरंजन यादव’क चयन कायल गेल अछि।

    यादव सोमदिन प्रशिक्षण हेतु दिल्ली रवाना भेलाह। रवाना हेबा सं पूर्व यादव कहलनि जे, 30 नवम्बर स 4 दिसंबर तक ई पांच दिवसीय प्रशिक्षण कार्यक्रम आयोजित होयत, जाहि मे बिहार राज्यक 40 गोट मुखिया भाग लेताह। दरभंगा सं हुनकर चयन पंचायतक लोकक लेल सम्मानक बात अछि।