बिहार मे गुटका, पान मसाला पर 21 मई सं 1 सालक लेल लागल प्रतिबंध

    0
    371

    दिल्ली-मिथिला मिररः शराबक बाद आब बिहार सरकार बिहारमे पान मसाला आ गुटकाक खरीद एवं बिक्री पर शनिदिन अर्थात 21 मई 2016 सं 1 सालक लेल प्रतिबंध लगेवाक निर्णय लेलक अछि। शराबबंदी पर चलि रहल घोल फचक्का केर बाद आब गुटका प्रतिबंध कोन तरहें नव रंग जमाओल आहिकें लेल त किछु प्रतिक्षा करय पड़त।
    मुदा एकटा बात त साफ अछि जे नीतीश सरकार शराबी आ गुटका खेनिहार सं अपन लड़ाई सीधा-सीधी केलाह अछि। गुटका प्रतिबंध पर सेहो शराब जेना काला बजारी हैत आ कि फेर किछु आओर ओ त बादमे पता चलत।