पूर्व पार्षद’क पति के दिनदहाड़े गोली मारिकय हत्या

    0
    263

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: नगर थाना क्षेत्र मे दिनदहाड़े अपराधी सब पूर्व वार्ड पार्षद के पति’क गोली मारिकय हत्या कय देलक। मृतकक नाम सदानंद साह बताओल जा रहल अछि। हत्या के पाछु जमीनी विवाद बताओल जा रहल अछि।

    जानकारी के अनुसार, सदानंद साह के सब्जी मार्केट मे मोबाइलक दोकान अछि। रविदिन साँझ मे मोबाइल पर एकटा फोन आयल। अहि के बाद ओ दोकान सं कतहु जाय लगलाह, तखनहि किछुए दूर बाद हथियारबंद बदमाश ताबड़तोड़ गोली चला देलक। जाहि सं साह के मौका पर मौत भय गेल।

    सूचना भेटतहि पुलिस मौका पर पहुंचल, सदर डीएसपी राजेश कुमार के अनुसार हत्या के पाछु जमीनी विवाद बताओल जा रहल अछि। लहास के पोस्टमार्टमक लेल भेज देल गेल। वारदात के बाद आरोपी मौका सं फरार भय गेल।