कानपुर रेल हादसा: मरय वला के संख्या 130 के पार पहुँचल

    0
    377

    दिल्ली, मिथिला मिरर: उत्तर प्रदेश के कानपुर मे रविदिन भोर मे इंदौर सं पटना जा रहल इंदौर-राजेन्द्र नगर एक्सप्रेस दुर्घटनाग्रस्त भय गेल। सूत्रक अनुसार अहि दुर्घटना मे एखन धरि मरय वला के संख्या बढ़ी कय 130 के पार पहुँच गेल अछि, जहन कि 200 सं अधिक लोक घायल छथि, जिनका नजदीकी अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि।

    भेटल जानकारी के अनुसार एनडीआरएफ’क टीम कहलक अछि जे, एखनहु लोक ट्रेनक भीतर फंसल छथि, जिनका बाहर निकालबाक प्रयास कायल जा रहल अछि। कानपुर के पुखरायां मे राति भरि बचाव आ राहत अभियान चलल।

    ई दर्दनाक हादसा कानपुर के समीप पुखरायां मे रविदिन भोर मे 3.10 बजे भेल। हादसा एतेक भयानक छल कि ट्रेनक 14 टा डिब्बा पटरी स उतरि गेल। अहि हादसा मे एसी के 5, स्लीपर के 6, जनरल के 2 आ लगैज के एकटा डिब्बा के नुकसान पहुंचल अछि।