मोस्ट डॉयनामिक वीसी आॅफ द ईयर अवार्ड सं सम्मानित हेताह प्रो. साकेत कुशवाहा

    0
    329

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के कुलपति प्रो. साकेत कुशवाहा के एकटा और पैघ उपलब्धि भेटय वला अछि। ‘एनआईसीईआर’ द्वारा मोस्ट डॉयनामिक कुलपति आॅफ द ईयर 2016 के अवार्ड सं कुशवाहा सम्मानित करबाक निर्णय लेल जेल अछि। एनआईसीईआर के निदेशक उत्कर्ष शर्मा कुलपति के सोमदिन पठाओल पत्र मे अहि बैठक जानकारी देलनि आ कहलनि जे, विश्व स्वच्छता महासम्मेलन 2016 के अवसर पर आयेजित सम्मेलन मे 12 दिसंबर क ई सम्मान हुनका देल जायत।

    पत्र मे कहल गेल अछि जे, जी 51 के सब कुलपति के अहि सम्मेलन मे आमंत्रित कायल गेल अछि, जे विश्व सव्च्छता अभियान पर मास्टर प्लान आ स्व्च्छताक लेल देश के मानस पर अप्पन विचार रखताह।

    ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय के कुलपति के रूप मे प्रो. साकेत के एखन धरि दर्जन सं अधिक प्रतिष्ठित अवार्ड भेट चुकल अछि। जाहि सं ललित नारायण मिथिल विश्वविद्यालय’क ख्याति त बढ़बे कायल अछि संगहि मिथिलाक मान सेहो बढ़ल अछि।