आक्रोशित लोक बैंक पर पत्थराव कय बैंक कर्मी के बनौलक बंधक

    0
    266
    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर के औराई मे लोहिया चौक स्थित एसबीआइ शाखा मे सोमदिन ग्राहक करीब आधा घंटा धरि जाम कय पत्थरबाजी केलक। जाहि मे दू गोटे गंभीर रूप सं घायल भय गेलाह। घायल के पहचान औराई पाकड़ चौक निवासी मुस्तकिमा खातून आ कोकिलवारा गांव निवासी वृद्ध मो. कमरूल के घबराहटक कारण दिलक दौड़ा पड़ि गेल।
    आक्रोशित लोक सीसीटीवी तथा खिड़की के शीशा तोड़ि देलक अछि। अहि दौरान बैंक मे अफरा-तफरीक माहौल कायम भय गेल छल। ओतहि, चौक के जाम कय बैंक प्रबंधन के खिलाफ नारेबाजी कायल गेल। स्थिति के अनियंत्रित देख कर्मी कोनो तरहे जान बचा कय भागि गेल।
    बताओल जा रहल अछि जे, ग्राहक भोर मे करीब सात बजे स लाइन मे लागल छल। ग्राहकक आरोप छल जे, गार्ड जयकांत शाही तथा बैंक कर्मी बिचौलिया के रुपैया दैत छल। सूचना पर पहुंचल थानाध्यक्ष जंगो राम एवं दरोगा आरीज एहकाम तथा लालदेव राम कोनो तरह आक्रोशित के शांत करबेलनि।