28 फरवरी कऽ प्रत्येक वर्ष मनाओल जायत ‘पाग दिवस’ डाॅ. बीरबल झा

    0
    358

    दिल्ली,मिथिला मिरर-जुली रानी झाः 28 फरवरी 2015 कऽ दिल्लीक राजेन्द्र भवन मे संपन्न भेल पाग बचाउ अभियानक अपार सफलताक बाद मिथिलालोक’क संस्थापक आ पाग बचाउ अभियानक प्रणेता डाॅ. बीरबल झा कहला जे प्रत्येक वर्ष आब 28 फरवरी कें हमरा सब पाग दिवस अर्थात (पाग डे) कें रूपमे मनायब। मिथिला मिरर सं विशेष बातचीत करैत डाॅ. झा कहला जे जाहि तरहक उत्साह दिल्ली मे पाग बचाउ अभियान कें भेटलैक ओहि कें बाद संस्थाक आत्मबल बहुत बेसी बढि़ गेल छैक।
    हमरा सब पाग बचाउ अभियान कें सिर्फ दिल्ली मात्र नहि आब एकरा देशक विभिन्न शहर होइत नेपाली मिथिला मे सेहो लय जायब। जाहि-जाहि ठाम पाग बचाउ अभियानक कार्यक्रम हैत ओहिठाम विशाल रूपसं पाग मार्च निकाली हमरा सब देश-दुनियाकें इ संदेश देब जे मैथिल सब आब सेहो अपन अधिकारक लेल सजग भय चुकल छैथ। डाॅ. झा कहला जे अगिला पाग दिसव जे मनाओल जायत ओहिकें अवसर पर हमरा सब पागक संरक्षण करैत मिथिला क्षेत्र सं कोना एंटरप्रेन्योरशिप कें आगू आनैत हुनका आत्म निर्भर बनाओल जाई अहि पर सेहो विशेष बल देब।
    डाॅ. बीरबल कहला जे हमरा सब पलायनक दंश झेलि रोजी-रोजी कें चक्कर मे शहरे-शहरे नौकरी कय अपन गुजारा अवश्य करैत छी मुदा हमरा सबहक युवा वर्गमे अखनो अहि बातक घोर अभाव देखल जाय छन्हि जे ओ सब नौकरी नहि कय अपन कोनो स्टार्ट अप दिस डेग बढ़वैथ। मिथिलालोक आ पाग बचाउ अभियानक इ एकटा पैघ अभियान छैक जाहि सं हमरा सब युवा कें आत्मनिर्भर बनेवाक प्रशिक्षण दैत हुनका लोकनि कें बेसी सं बेसी अपन रोजगार करवाक लेल प्रेरित करब।