ललितेश झा अभिनीत हिन्दी सिनेमा ‘आॅसम मौसम’क रिलीज 18 मार्च कऽ

    0
    356

    दिल्ली-मिथिला मिररः हिन्दी सिनेमाक स्थापित चेहरा आ भोजपुरी फिल्मक प्रथम पंक्तिक चरित्र अभिनेता आ मैथिलीक सर्वकालीन सुपर-डुपर हीट सिनेमा सस्ता जिनगी महग सेनूर कें अभिनेता ललितेश झा अभिनीत हिन्दी सिनेमा ‘आॅसम मौसम’ शुक्रदिन अर्थात 18 मार्च कऽ रिलीज भय रहल अछि। सिनेमा मे मुख्यरूप सं ललितेश झा आ मुकेश तिवारी दमदार अभिनय मे छथि, जे एकटा चरित्र अभिनेताक रूपमे अपन दमदार अभिनय सं लोकक बीच बहुत बेसी लोकप्रिय रहता।

    योगेश भारद्वाज द्वारा निर्देशित इ सिनेमा समाजक दू धूरीक बीच भेल अटूट प्रेम आ ओहिकें बाद जाहि तरहक समाजिक चुनौति होइत अछि अहि सं जुड़ल विषय पर बनल अछि, जाहिमे अपने लोकन्हि कें समाजिक चुनौति कें तोड़ैत एकटा सुंदर सन प्रेम आ हास्य-मनोरंजक भरपूर आनंद भेटत। मिथिला मिरर कें संपादक ललित नारयण झा सं बातचीत करैत अभिनेता ललितेश झा कहला जे आम दर्शकक बीच फिल्म आॅसम मौसम एकटा बेहतरीन छाप छोड़त।

    फिल्मक संगीत मणिशंकर, कोमल आर्यन, इशान घोष आ अन्य देने छैथ तहिना अहि सिनेमाक गीत कें जे गायक लोकनि अपन अवाज देने छैथ ओहिमे सोनू निगम, शान, जावेद अली, मोनाली ठाकुर, केके, इशान घोष आ अन्य कलाकार लोकनि छथि। अभिनय मे मुकेश तिवारी, ललितेश झा,राहुल शर्मा, अंबिका सरकार, सुहासिनी, सहित अन्य कलाकार लोकनि छथि।

    सिनेमा दक्षिण भारतक थियेटर कें छोड़ि समस्म उत्तर, पूर्व आ मध्य भारत सहित देशक विभिन्न कोन मे एक संग रिलीज कैल जा रहल अछि। फिल्मक गीत-संगीत एक सं एक अछि जे निश्चित रूपहिं आम दर्शकक बीच अपन एकटा खास छाप छोड़त। मिथिला मिरर देश भरिक समस्त मैथिलजन सं अपील कऽ रहल अछि कि अपने सब बेसी सं बेसी संख्या मे थियेटरमे जाई आ मिथिलाक अहि सपूतकें प्रोत्साहित करियैन।