कामेश्वर सिंह संस्कृत विवि मे विकासात्मक कार्य’क योजना तैयार

    0
    320

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: कामेश्वर सिंह संस्कृत विवि के कुलपति डा0 नीलिमा सिन्हा के अध्यक्षता मे बुधदिन रुसा के तहत प्रोजेक्ट मोनिटरिंग कमेटी के बैसक आयोजित कायल गेल। अहि मौक़ा पर करीब 20 करोड़ रुपैयाक होबय वला विकासात्मक कार्यक लेल डीपीआर तैयार करबाक निर्णय लेल गेल।

    उक्त जानकारी डाइट विवि के पीआरओ निशिकांत सिंह कहलनि जे, उपस्कर तथा संसाधनक खरीदारीक लेल 6 करोड़ एवं आधारभूत संरचनाक नवनिर्माणक संग भवन आदि के मरम्मत मे 7-7 करोड़ रुपैया खर्च कायल जायत। बैसक मे आम सहमति बनल जे शिक्षा शास्त्र विभाग, ललित कला विभाग तथा वेद विभागक लेल लैब के निर्माण कराओल जायत।

    नव परीक्षा भवन के बगल मे छात्रावास के अलावा एकटा तिमंजिला संघ भवन सेहो बनाओल जायत। ओतहि वीसी डा0 सिन्हा सोलर प्रोजेक्टक सुझाव देलनि, जाहि पर सब सदस्य सहमति जतौलनि। अहि के अलावा गेस्ट हाउस समेत अन्य क्वार्टर के मरम्मत सेहो कराओल जायत।

    बैसक मे वीसी के अलावा डा0 सुरेश्वर झा, डा0 श्रीपति त्रिपाठी, डा0 विद्येश्वर झा, डा0 रीता सिंह, सूचना वैज्ञानिक नरोत्तम मिश्र, वरुण कुमार झा तथा अखिलेश कुमार मिश्र मौजूद छलाह।