लालू यादवक राजनैतिक उत्तराधिकारीक घोषणा, दुनू बेटाक हाथ कमान

    0
    257

    पटना, मिथिला मिरर: लालू प्रसाद अपन राजनीतिक विरासत सौंपबाक बड्ड पैघ ऐलान केलनि अछि। लालू यादव अपन दुनु बेटा तेज प्रताप आ तेजस्वीकें पार्टीक कमान देबाक घोषणा कए देलनि। ज्ञात हो कि दुनू एखन बिहार सरकारमे मंत्री छथि। परन्तु आब सवाल उठि रहल अछि जे, लालू अपन बेटी मीसा भारतीकें अपन उत्तराधिकारी कियैक नहि बनेलनि।

    तीन साल पहिने तक लालू-राबड़ीक बाद यादव परिवारमे तेसर सब सं अधिक सक्रिय यदि कियो छल त मीसा छलीह। 2014 मे लालू मीसाकें टिकट देबाक लेल अपन करीबी रामकृपाल यादव सं सेहो दुश्मनी मोल लेने छलाह। परतु मीसा 2014मे लोकसभा चुनावके दौरान पाटलिपुत्र सं चुनाव हारि गेल छलीह, एतहि सं ओ धीरे-धीरे पर्दाक पाछू चलि गेलीह।

    अहि दौरान 2015मे बिहारमे चुनाव भेल। जेडीयू आ राजद मिलकए चुनाव लड़ल, लालूक पार्टी एकबेर फेर वापसी केलक। परन्तु अहि बेर लालू अपन दुनू बेटा तेज प्रताप आ तेजस्वीकें आगू केलनि। तेजस्वी उप मुख्यमंत्री बनलाह आ तेज प्रताप हेल्थ मिनिस्टर।

    पिछला दू दिन सं बिहारक राजगीरमे आरजेडी ट्रेनिंग कैंप चलि रहल अछि। एतहि लालू ऐलान केलनि जे, हमरा बाद तेज प्रताप आ तेजस्वी पार्टीक बागडोर संभारताह। लालू प्रसाद अगिला साल 70 बरखक भए जेताह, आ ओ आब सक्रिय राजनीतिक मूडमे नहि छथि। हालांकि, मीसा एखनहु सक्रिय छथि। पिछला साल राजद हुनका राज्यसभाक सदस्य बनेलक अछि।