सुपौल केर छातापुर थानाकें लालपुर गांवमे युवक कें लाश भेटला सं सनसनी

    0
    329

    सुपौल,मिथिला मिरर-सोनू भगत/रवि रोशन भगतः सुपौल जिलाक छातापुर थाना क्षेत्रक रामपुर पंचायत अंतगर्त लालपुर गांवमे मंगलदिन भोरे एकटा युवक कें शव मकई केर खेत सं बरामद कैल गेल। मंगलदिन भोरमे जखन ग्रामीण लोकनि अपना खेतमे कार्य करवाक लेल निकलला त देखला कि लालपुर गांवकें निवासी कालेश्वर धरहार केर लाश खेत मे पड़ल अछि। किछुए कालमे इ खबैर आगिक पसाही जेना लोकक बीच पसैर गेल।
    आनन-फाननमे ग्रामीण लोकनि पुलिसकें सूचना देलनि। मौका पर पहुंचल पुलिस शवकें अपना कब्जामे लए ओकरा पोस्टमार्टम करवाक लेल सदर अस्पतल सुपौल पठा देलक। पोस्टमार्टमक बाद प्रारंभिक रिपोर्ट कें आधार पर पुलिस कहलक लेल अज्ञात अपराधी कालेश्वरकें गरदैन दाइब हत्या केलक। पुलिस एकटा जांच टीम बना मैमलाक छानबीन कए रहल अछि।