मधुबनी मे कतेको जगह नालीक खुदाई स आवाजाही बाधित

    0
    328

    मधुबनी, मिथिला मिरर: नगर परिषद प्रशासन द्वारा विगत किछु दिन पहिने कोर्ट कैंपस, सदर अस्पताल, आॅफिसर कॉलोनी सहित अधिकारी आवास स जल निकासीक पहल कायल गेल छल। मुदा अहि लेल ठोस पहल नै करबाक कारने आब आमलोकक परेशानी बढ़ल जा रहल अछि। शहरक हजारो लोकक आवाजाही बाधित भय रहल अछि। सड़क जाम, बच्चाक स्कूल जेबा मे परेशानी भ रहल अछि संगहि कतेको व्यवसायीक व्यवसाय सेहो प्रभावित भय रहल अछि, जाहि कारने लोक आक्रोशित भय रहलाह।

    शहर मे अधिकारी आवास तथा सदर अस्पताल परिसर स जल निकासीक पहल पर नगर परिषद् प्रशासन कोर्ट कैंपस के एस. पी. आवास तक करीब तीन फीट मे जेसीबी स नालीक खुदाई करौलक। जाहि स जल निकासी होबय लागल छल, मुदा अहि दौरान नगर परिषद् प्रशासन ने ह्यूम पाईप देलनि आ ने कोनो अन्य व्यवस्था करौलनि। जाहि स नालीक खुदाई के बीच मे कतेको जगह पर आवाजाही बाधित भय रहल अछि।
    शहर के जलधारी चौक स हास्पीटल मुहल्ला जाय बला सड़क, मधुयामिनी होटल, मोटरसाइकिल एजेंसी तथा कतेको निजी नर्सिग होम तक जेबा मे लोक के परेशानी उठाबय पड़ैत छन्हि। अहि विषय पर जहन नगर परिषद् कार्यपालक पदाधिकारी स जानकारी हासिल करबाक प्रयास कयलहुँ त, पदाधिकारी जटाशंकर झा कहलनि जे, नालीक खुदाई के बाद जल्दये अहि मे सुविधाक लेल किछु इंतजाम कायल जायत।