महागठबंधन मे टूटक आसार, रालोसपा बजौलक आपातकालीन बैसार, राजदक दू टूक- रालोसपा फैसला लेबाक लेल स्वतंत्र

0
798

पटना, मिथिला मिरर : बिहार मे विधानसभा चुनाव केँ ल’ राजनीतिक उठापटक शुरू भ’ चुकल अछि। राज्यक दूटा प्रमुख गठबंधन मे सँ एक महागठबंधन मे सभ किछु ठीक नहि देखना जा रहल अछि। हिंदुस्तान आवाम मोर्चा केँ बाद उपेंद्र कुशवाहा केँ सेहो महागठबंधन सँ मोह भंग होइत देखना जा रहल अछि। अगिला एक-दू दिन मे रालोसपा महागठबंधन छोड़बाक ऐलान क’ सकैत अछि। खबरि अछि जे वृहस्पतिदिन रालोसपा आपातकालीन बैसार बजौलक अछि।  एहि बैसार मे पार्टी आगूक रणनीति तैयार करत। एहि बैठक मे रालोसपा अध्यक्ष उपेंद्र कुशवाहा आ पार्टीक तमाम बड़का नेता मौजूद रहताह। सूत्र केँ मानी त’ पार्टी नव विकल्प पर काज केनाई शुरू क’ चुकल अछि आ बैसारक बाद पार्टी किछु पैघ ऐलान क’ सकैत अछि।

रालोसपाक प्रधान महासचिव माधव आनंद केँ मुताबिक राजद आ कांग्रेसक नीयत ठीक नहि अछि। चुनाव माथ पर अछि आ अखनि धरि सीट केँ ल’ कोनो तरहक आश्वासन तक नहि देल गेल अछि। एहन मे पार्टी नव विकल्प के तलाश मे अछि। यदि रालोसपा महागठबंधन सँ अलग होइत अछि त’ एहि लेल पूर्णतया राजद आ कांग्रेस जिम्मेवार होयत। बतादी जे तेजस्वी केँ रुख जाहि तरहक छनि ओही सँ अन्य घटक दल सेहो नाराज अछि। एहन मे कोनो पार्टी स्वतंत्र अछि। मालूम होयत जे कुशवाहा किछु दिन पूर्व तेजस्वी सँ भेँट सेहो केने छलाह।

एक दिस खबरि इहो आबि रहल अछि जे जाहि तरहें तेजस्वी यादव रालोसपा केँ झटका दैत ने रालोसपाक कार्यकारी उपाध्यक्ष कामरान केँ राजद मे शामिल करा देलक ओहो बीच रतिया मे एहि ल’ उपेन्द्र कुशवाहा नाराज भ’ गेलाह अछि आ आरोप लगेलनि अछि जे तेजस्वी पार्टी  तोडबाक प्रयास क’ रहल छथि। बतादी जे मांझी संग सेहो एहन कएल गेल छल आ प्रदेश अध्यक्ष आ दूटा आओर वरिष्ठ पदाधिकारी केँ नव दल बनवा देने छल। आब देखबाक बात ई अछि जे कुशवाहा वृहस्पतिदिन महागठबंधन सँ अलग होइत छथि वा नहि।

एम्हर महागठबंधन सँ कुशवाहा केँ अलग हेबाक सवाल पर राजद पलटवार करैत कहलक अछि जे कोनो पार्टी कोनो तरहक निर्णय लेबाक लेल स्वतंत्र अछि। ज’ कुशवाहा केँ अंतरआत्मा दोबारा जागी रहल छनि त’ राजद एहि लेल दोखी नहि अछि। राजद सभक संग चलबा पर विश्वास करैत अछि।