मिथिलाक कतेको क्षेत्रमे पीबा योग्य पानिक अभाव

0
365

दरभंगा, मिथिला मिरर : दरभंगा जिलाक जाले प्रखंड अंतर्गत राढ़ी पश्चिमी पंचायतक वार्ड संख्या आठ आ नौमे चापाकल सूखलाकेँ कारण लोक सभक सामने पिबई वला पानिक  समस्या ठाढ़ भ’ गेल अछि। जाहिसँ लोक सभकेँ परेशानिक सामना करय पड़ी रहल छनि। एहन खबरि अछि जे पछिला एक माससँ एहन तरहक स्थिति बनल जा रहल अछि। पानीक स्थिति एहन भ’ गेल अछि जे लोकसभ अगल-बगलक गाम आ दोसर टोलसँ पानि भरी क’ लबैत छथि। वार्ड 9मे एहन स्थिति अछि जे ग्रामीण सभ किन क’ पानि पिबैत छथि। एहनमे आश्चर्जक बात अछि जे भीषण जाड़मे एहन स्तिथि बनि गेल अछि त’ अबय वला गर्मीमे लोक सभक की स्थिति होयत। स्थानीय प्रशासनकेँ लेल चुनौती साबित भ’ सकैत अछि। ग्रामीण श्याम सुंदर तिवारी, अरूण सिंह, मिथिलेश तिवारी, अशोक महतो, सुमन महतो, प्रकाश महतो, शिव शंकर साह आदि लोकनि बतौलनि जे तीन सप्ताहसँ चापाकलक पानि अचानक कम होमय लागल अछि। लोकसभक कहब छनि जे अखनि ई हाल अछि त’ गर्मीमे की होयत? पूरा टोलमे एक मात्र चापाकल अछि, जाहिसँ पानि निकलैत अछि।

फिलहाल लोकसभ लाइनमे लागि ओतहिसँ पानि लाबी उपयोग करैत अछि। एहि समस्याकेँ कारण पिबई, नहाय आ कपड़ा धोबय लेल रामजानकी मंदिर परिसर स्थित चापाकल पर चक्कर काटय पडैत छनि। ग्रामीण लोकनिकेँ कहब छनि जे लाखों रुपैयाकेँ लागतसँ राढ़ी पश्चिमी पंचायतमे जलमीनार बनेबाक काज प्रगति पर अछि। लेकिन, पानिक सप्लाई होमयमे अखनि समय लागत। समस्याक जानकारी जनप्रतिनिधिसँ ल’ उच्च पदाधिकारी तककेँ देल गेल छनि। हालत एहन अछि जे पंचायतक मुखिया सुनीता देवीक आवासमे लागल दुनु चापाकल सूखि चुकल अछि। अधिकांश लोक रामजानकी मंदिर परिसरसँ पानि लाबि अपन काज करैत छथि। एहि दिशामे स्थानीय प्रशाशनकेँ उचित कदम उठेबाक जरूरी अछि, नहि त’ आवय वला समयमे किछु बेसी दिक्कत हेबाक संभावना बनि सकैत अछि। एहिसँ पूर्व दरभंगा जिलाक बहादुरपुर प्रखंडक किछु गामक हाल सेहो एहने छल।