कुंभ मेलाक संग शिरडी आ अनेको ज्योतिर्लिंगक दर्शन लेल चलत टूरिस्ट ट्रेन

0
691

दरभंगा, मिथिला मिरर : दरभंगा सहित पूरा मिथिलाकेँ लोकसभ लेल कुंभ स्नानक संग शिरडी आ ज्योतिर्लिंग दर्शनक लेल रेलवे टूरिस्ट ट्रेन चलेबाक घोषणा केलक अछि। 5 फरवरीसँ 11 राइत आ 12 दिनकेँ लेल चलय वाली आस्था सर्किट स्पेशल ट्रेन इलाहाबादक कुंभ स्नान, उज्जैनक महाकालेश्वर ओंकारेश्वर ज्योतिर्लिंग दर्शन, द्वारकाक’ द्वारकाधीश मंदिर, नागेश्वर ज्योतिर्लिंग दर्शन, सोमनाथक सोमनाथ ज्योतिर्लिंग दर्शन, नासिकक त्रयंबकेश्वर ज्योतिर्लिंग दर्शन आ शिरडी साई दर्शन करेबाक बाद 16 फरवरीकेँ वापस होयत। आइआरसीटीसीक पटना क्षेत्रीय कार्यालयकेँ प्रबंधक राजेश कुमार दरभंगा जंक्शन पर बतौलनि जे 11 हजार 340 रुपैयामे एक यात्रीकेँ सभ जगहक भ्रमण कराओल जायत। जँ 15 श्रद्धालु एक जगह बुकिंग करेताह त’ हुनका रियायत सेहो देल जायत। 9 डिब्बा वला एहि ट्रेनमे सभ बोगी स्लीपर अछि। जाहिमे 750 यात्रि लेल बर्थ उपलब्ध अछि। भ्रमण करय वला यात्रि सभकेँ रेलवेक तरफसँ धर्मशालामे रात्रि विश्राम, शाकाहारी भोजन, लोकल यात्रा करबाक लेल  नॉन एसी बस, सुरक्षा व्यवस्था सहित कतेको सुविधा देल जायत। ट्रेन दरभंगासँ चलि क’ समस्तीपुर, मुजफ्फरपुर, हाजीपुर, पाटलिपुत्रा आ पं. दीनदयाल उपाध्याय जंक्शन होइत प्रयागराज पहुँचत। टिकट बुकिंग लेल दरभंगा जंक्शन स्थित फूड प्लाजामे रेलवे कर्मी 6 आ 7 जनवरीकेँ तैनात रहताह। संगहि आइआरसीटीसीक वेबसाइट आ अधिकृत एजेंटसँ सेहो टिकट ल’ सकैत छी। वरीय पर्यवेक्षक मनीष कुमार बतौलनि जे कुंभ लेल एहिबेर विशेष व्यवस्था कएल गेल अछि।

समस्तीपुर रेल मंडलकेँ भेटल उपहार

पूर्व मध्य रेलवेक महाप्रबंधक ललित चन्द्र त्रिवेदी समस्तीपुर रेल मंडलकेँ नव वर्षमे एकटा नव तोहफा देलनि अछि। आधुनिक सुविधासँ लैस लगभग 45 लाख रुपैयाक लागतसँ डेमू शेड द्वारा विकसित स्वचालित निरीक्षण यान समस्तीपुरक डीआरएम आर.के जैनकेँ सौंपलनि। जीएम हरी झंडी देखा एहि स्वचालित निरीक्षण यानकेँ समस्तीपुर लेल रवाना कएलनि। बादमे अधिकारि सभ संग बैसार क’ सोनपुर रेल मंडलक कार्य-कलापकेँ सेहो समीक्षा कएलनि। जीएम सोनपुर मंडलक डेमू शेडमे कार्यरत अधिकारि आ कर्मचारि लोकनिकेँ सराहना कएलनि। संगहि पूर्व मध्य रेलवेक सभ पाँच मंडलमे स्वचालित निरीक्षण यानक सौगात पबै वला पहिल डिवीजन बनल समस्तीपुर रेल मंडल।