शुक्रदिन सांझ पटना पहुंचत शहीदक पार्थिव शरीर, राज्य सरकार देत 11 लाखक मुआवजा

    0
    330

    दिल्ली-मिथिला मिररः जम्मू-कश्मीर के कुपवाड़ामे आतंकीक संग लोहा लैत सीमा सुरक्षा बल अर्था बाॅर्डर सिक्योरिटी फोर्सक जवान विकास कुमार मिश्रक शहादत पर राज्यक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 11 लाख टकाक मुआवजा देवाक घोषणा कैलनि अछि। ओना आब बीएसएफ मुख्यालय सं सेहो स्थानीय प्रशासनकें सार्वजनिक सूचना दए देल गेल अछि। स्थानीय निवासी आ जानल-मानल शिक्षाविद डाॅ. सुनील कुमार झा मिथिला मिरर कें बतेलाह जे शुक्रदिन सांझ तक शहीदक पार्थिव शरीर पटना हवाई अड्डा पहुंचत ओहिकें बाद फेर सड़क मार्ग या हेलीकाॅप्टर सं रैयाम एवाक तैयारी कैल जाएत।
    डाॅ. झा कहला जे आई किछु राजनीति व्यक्ति सबहक आगमन सेहो संभावित अछि जाहिमे दरभंगा सं सांसद कीर्ति आजाद, मधुबनी सं विधान पार्षद सुमन महासेठ, राजनीतिक चेहरा मे लक्षमेश्वर सिंह, बिहार सरकार मे मंत्री मदन मोहन झा सहित कतेको आओर राजनीतिक व्यक्ति पहुंचब संभावित बतेलाह। डाॅ. सुनील कहला जे अंतिम संस्कार संभवतः शनिदिन भोरमे पूरा राजकीय सम्मानक संग कैल जेतनी। मिथिला मिरर लगतार अहि खबैर पर नजैर बनेने अछि आ जे कोनो अपडेट हमरा सब लग पहुंचत हमसब तुंरत ओहि खबैरकें लए अपने लोकनिक लेल लए आएब।