दिल्लीमे विवाहमे पारंपरिक परिधानमे बरियाती गेलथि मैथिल युवा

0
1599

दिल्ली-मिथिला मिररः 25 जून सोमदिन दिल्लीक सड़क पर मैथिल युवाकेँ मैथिलक पारंपरिक भेष-भूषामे देखि कतेको लोक अचरजमे पड़ैत रहला। अवसर छलैक धमियापट्टी निवासी नवीन कुमार झा’क विवाहोत्सवक। ई विवाह दिल्लीक किराड़ी स्थित अगरनगरक उगना मार्ग पर अवस्थित विवाह भवनमे संपन्न भेल। एहि विवाहक खास बात ई रहल जे ब’र सेहो अपन पारंपरिक परिधान धोती, कुर्ता, घुनेस लागल पाग, आ डोपटासँ सुुसज्जित भ’ बिबाहक लेल गेलथि।
ब’रक एति सार्थक पहलकेँ समर्थन दैत लगभग आधा दर्जन मैथिल युवा लोकनि धोती-कुर्तामे बरियाती जा एकटा नव परंपराक निर्वहन कएलाह। ले युवा लोकनि धोती-कुर्ता पहिर बरियाती गेलथि सब अपना आपमे संपन्न छथि आ फैशनेबल वेश-भूषाकेँ धारण करबामे सक्ष्म सेहो छथि मदा ब’रक सार्थक पहलकेँ एकटा नब बल भेटलैक। आशुतोष झा एकटा सफल युवा उद्यमी, बसंत झा वत्स पेशासँ चार्टर्ड अकाउंटेंट, रंजीत पाठक जीवन वीमा निगमक एकटा नाम, नागेन्द्र झा अहमदाबादमे एकटा सफल मैथिल युवा उद्यमी, मनीष झा बौआभाइ एक चिन्हल-जानल कवि आ मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा’क नाम एहि सूचिमे शामिल छनि।
आइसँ एक मास पूर्व जखन नीवन ललित-मनीषकेँ बरियाती लेल आमंत्रित केलखिन तँ ललित एकटा शर्त रखलनि जे जँ अहाँ अप्पन पारंपरिक परिधानमे घ’र सँ बियाहस्थल धरि अप्पन परिधानमे जाएब तँ हमरा लोकनि सेहो अप्पन परिधानमे बरियाती आएब। ब’रक एहि स्वीकृतिकेँ मानि ललित-मनीष एकटा कोशिश कएलनि आ ओकरा बसंत झा वत्स, नागेन्द्र झा, आशुतोष नारायण झा आ रंजीत पाठक अप्पन समर्थन दैत एकटा नव इतिहासक निमार्ण कयलनि।
निश्चित रूपहिं ई एकटा सार्थक पहल अछि जेकरा सोशल मीडिया पर खूब प्रशंसा आप लोक द’ रहलखिन। अगर दिल्ली सहित आन-आन शहरक ब’र आ बरियाती खास क’ युवा एहि परंपराक शुरूआत करताह तँ एकटा नम्हर बाजार सेहो निमार्ण हेतैक आ एहिसँ युवा पीढ़ीमे अप्पन संस्कृतिक संवर्धनक प्रति चेतना सेहो जागृत हेतैक। मिरर परिवार दिससँ नवीनकेँ सुखद दाम्पत्य जवनक बधाई।