ट्रेनकेँ मिथिला पेंटिंगसँ सजबैवला कलाकार सभकेँ यूएन केलक सराहना

0
1068

मधुबनी/दिल्ली-मिथिला मिरर: बिहार संपर्क क्रांति एक्सप्रेसक कोच पर मिथिला पेंटिंग चित्रकारीकेँ संयुक्त राष्ट्र खूब सराहना केलक अछि। यूएन एहि लेल भारतीय रेलवे आ ट्रेनके मिथिला पेंटिंगसँ सजबैवला कलाकार सभकेँ जमि क’ तारीफ केलक अछि। बतादी जे बिहार संपर्क क्रांतिक 9 कोचकेँ सुंदर मिथिला पेंटिंगसँ रंगल गेल जाहिसँ एहि ट्रेनक सुंदरता देखिते बनैत अछि। यूएन एकटा ट्वीटमे लिखलाह जे – भारतीय रेलगाड़ि कतेक सुंदर लागि रहल अछि बिहारक मिथिला क्षेत्रक महिला सभ रेलक कोचकेँ पारंपरिक मिथिला आर्टसँ रंगलक अछि, जे मधुबनी आर्टक नामसँ जानल जायत अछि। इ कलाकार सभ अपन अंगुलि, सलाईके तिल्ली, ब्रश, नेचुरल डाई आ रंगसँ एहि पर पेंटिंग बनौलनि अछि जे काबिले तारीफ अछि। जनतब दी जे  दरभंगासँ नई दिल्ली जाय वला बिहार संपर्क क्रांति एक्सप्रेसक नौ डिब्बाकेँ मिथिला पेंटिंगसँ सजाओल गेल जे बिहारक संस्कृतिकेँ समेटने अछि जखन ई गाड़ी दरभंगासँ चलि नई दिल्ली पहुँचल त’ सभ कियो एकर खूबसूरती निहारैत रहल।  भारतीय रेलवेक ई प्रयोग लोकसभकेँ खूब पसंद आयल। सिर्फ बिहार संपर्क क्रांति एक्सप्रेस टा नहि, पटना राजधानीक 22 कोचकेँ सेहो मिथिला पेंटिंग्ससँ सजाओल जा रहल अछि। एतबे नहि भारतीय रेलवे द्वारा ‘रेल स्वच्छ मिशन’ क तहत मधुबनी स्टेशनक दीवार सभ पर सेहो मिथिला पेंटिंगसँ सजाओल गेल अछि आ कलाकार सभ अपन श्रमदान क’ मधुबनी स्टेशनकेँ सुंदर बनेलथि।