पाग बचाउ अभियानक दोसर चरणकें सफल बनेवाक लेल पटना मे संवाददाता सम्मेलन

    0
    344

    दिल्ली-मिथिला मिररः मिथिलालोक फाउंडेशन आ शिक्षाविद डाॅ. बीरबल झा केर अगुआईमे चलि रहल ‘पाग बचाउ अभियान’क दोसर चरण कें सफल बनेवाक लेल व्यापाक रूप सं तैयारी संस्थाक द्वारा कैल जा रहल छल। 28 फरवरी 2016’क दिल्ली आईटीओ, स्थित राजेन्द्र भवन सं विधिवत शुभारंभ आ सफल रहल पाग बचाउ अभियान कें पहिल चरणक बाद आब दिल्ली सं बाहर आ देशस्तर सहित ग्लोबल मिथिला मे अहि अभियानकें सफल बनेवाक तैयारी लगभग पूर्ण भय गेल अछि।
    अहि क्रम मे बिहारक राजधानी पटनामे रविदिन दुपहरियामे एकटा संवाददाता सम्मेलनक आयोजन संस्थाक संस्थापक डाॅ. बीरबल झा द्वारा बजाओल गेल छल। संवाददाता सम्मेलन मे स्थानीय, राष्ट्रीय आ अंतरराष्ट्रीय स्तरक मीडिया पहुंचल। संवाददाता सम्मेलनक मे आयल समस्त मीडियाकर्मी कें संस्थाक पाग पहिरा हुनका स्वागत कैल गेलनि आ ओहिकें बाद संस्था एक बेर फेर सं अपन आगूक रणनीति पर विस्तार सं बीतचीत कैलक।
    संवाददाता सम्मेलन कें संबोधित करैत संस्थाक चेयरमैन डाॅ. बीरबल झा कहला जे ‘पाग बचाउ अभियान’क उदे्श्य मात्र इ नहि अछि जे हम समस्त मैथिलीकें पाग पहिरा अपना अभियान कें सफल बुझव। डाॅ. झा कहला जे आजादीकें बाद जाहि तरह सं मिथिला सं पलायन भय रहल अछि ओ एकटा दुःखद आ गंभीर विषय अछि। हमरा सब उच्च शिक्षा त लय लैत छी मुदा रोजगारक लेल हमरा सब कें देश-विदेशक जाए पड़ैत अछि, एहनमे मिथिलालोक एकटा संक्लप लय निकलल अछि जे पाग बचाउ अभियानक तहत आम मैथिल मे एकटा नव चेतना जागृत करैत ओहिठाम सं बेसी सं बेसी इंटरप्रेन्यिोर कें बढ़ावा दैत मिथिलाक धीया-पुता कें व्यवसाय कें दिस आत्मनिर्भन बनेनाई।
    पाग बाचाउ अभियानक दोसर चरणमे संस्था पटना सहित देशक अलग-अलग भाग मे अहि कार्यक्रम मे प्रमुखता सं लोकक बीच राखत आ आम लोककें बेसी सं बेसी अहि कार्यक्रम सं जोड़वाक प्रयास करत।