बिहार कोटाक केंद्रीय मंत्री के जदयू’क चेतावनी

    0
    355

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार मे बाढ़ि राहत के लय क सियासत आब टकराव मे तब्दील भय रहल अछि।नेता के सब के बयानबाजी के बीच मंगलदिन जदयू केंद्र सरकार के मंत्री के बिहार मे नहि घुसय देबाक चेतावनी देलक।

    पार्टी के मुख्य प्रवक्ता संजय सिंह केंद्र सरकार पर निशाना साधैत कहलनि जे, केंद्र सरकार बिहार के बाढ़ि पीड़ित के एकटा चवन्नीक मदद नहि देलक अछि। उल्टे केंद्र के मंत्री बिहार आबि कय बिहार सरकारक भोजन कय रहल अछि।

    संजय कहलनि जे, यदि एहने हालात बनल रहल त जदयू कार्यकर्ता बिहार के सातो केंद्रीय मंत्री के सूबे मे घुसय नहि देत। ओ कहलनि जे,. स्थिति तैयो नहि सुधरत त दिल्ली मे प्रधानमंत्री के घरक घेराव कायल जायत।