‘सियोल शांति पुरस्कार’ भारतक प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदीकेँ

0
666

दिल्ली, मिथिला मिरर :  भारतक प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी अपन दू दिवसीय यात्रा पर दक्षिण कोरिया गेल छथि। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदीकेँ दक्षिण कोरिया दौराक दोसर दिन सियोल शांति पुरस्कारसँ सम्मानित कएल गेल। प्रधानमंत्री मोदी एहि पुरस्कारमे भेटल 1.30 करोड़ रुपैया नमामि गंगे प्रोजेक्टकेँ लेल देबाक ऐलान कएलाह अछि। भारत आ दक्षिण कोरिया  6टा समझौट पर हस्ताक्षर सेहो कएलनि। मोदी सियोल शांति पुरस्कार पबै वला 14वाँ व्यक्ति छथि। ई पुरस्कार 1988 मे सियोल ओलिंपिककेँ सफल आयोजन भेलाक बाद शुरू कएल गेल छल।

संपूर्ण भारतवासीकेँ समर्पित सियोल अवॉर्ड

सियोल सम्मान भेटलाकेँ बाद प्रधानमंत्री मोदी अपन संबोधनमे कहलाह जे ई अवॉर्ड मात्र हमर नहि अपितु सम्पूर्ण भारतवर्षकेँ अछि। ई अवॉर्ड भारतक ओहि सफलताकेँ लेल अछि जे हम 5 सालमे हासिल केलहु। ई अवॉर्ड ‘वसुधैव कुटुम्बकम’ संदेशकेँ तौर पर अछि। ई अवॉर्ड ओहि देशक लेल अछि जतय हमरा सभकेँ साँस्कृतिक अनेक अहम पहलू पढ़ाओल जाइत अछि। जतय पढ़ाओल जाइत अछि दुनियाँमे हर तरफ शांति होइ। महात्मा गाँधीक 150वीं जयंतीकेँ सालमे अवॉर्ड पाबि गौरवान्वित छी। हमरा जे सम्मानक संग 1 करोड़ 30 लाख रुपैयाक सम्मान निधि भेटल, ओ हम नमामि गंगे योजनाकेँ समर्पित क’ देब। सियोल पीस प्राइज 24वें ओलिम्पिक गेम्सक यादमे शुरू कएल गेल छल। भारत ओहि ओलिम्पिककेँ बहुत नीकसँ याद रखने अछि, किएक त’ ओ महात्मा गाँधीक जयंती पर खत्म भेल छल।

अखनि धरि 14 टा लोककेँ भेट चुकल अछि ई प्रतिष्ठित पुरस्कार

साल केकरा भेटल पुरस्कार देश
1990 जुआन एंटोनियो समारांच स्पेन
1992 जॉर्ज शुल्ज अमेरिका
1996 मेडिसंस संस फ्रंटियर्स स्विट्जरलैंड
1998 कोफी अन्नान घाना
2000 सदाको ओगाता जापान
2002 ऑक्सफैम (संस्था) यूके
2004 वाक्लाव हैवल चेक रिपब्लिक
2006 मोहम्मद यूनुस बांग्लादेश
2008 अब्दुल सत्तार ईदी पाकिस्तान
2010 जोंस एंटोनियो एब्रियो वेनेजुएला
2012 बान की-मून द.कोरिया
2014 एंजेला मर्केल जर्मनी
2016 डेनिस मुकवेज कॉन्गो

2018        नरेन्द्र मोदी                     भारत