चिराग केँ भेटलनि पिताक समर्थन, रामविलास कहलनि चिरागक हरेक फैसलाक संग छी ठाढ़

0
615

पटना/दिल्ली,मिथिला मिरर : बिहार में चुनावक समय जेना-जेना नजदीक आबि रहल छैक, राजनीतिक हलचल बढ़ल जा रहल अछि। लोजपा आ जदयू केँ बीच चलि रहल विवाद किनको सँ छुपल नहि छैक। लोजपाक राष्ट्रीय अध्यक्ष चिराग पासवान समय दर समय नीतीश कुमार के खिलाफ सवाल उठबैत रहैत छथि। एहन में आरोप प्रत्यारोप दुनू दिस सँ होइत रहैत अछि। नीतीश कुमार केँ खिलाफ मोरचाबंदी में लागल लोजपा अध्यक्ष चिराग पासवान केँ अपन पिता आ केंद्रीय मंत्री रामविलास पासवान केँ समर्थन भेँट गेलनि अछि। राजग में जारी गतिरोधक बीच रामविलास पासवान ट्वीट क’ कहलनि अछि जे ओ लोजपा अध्यक्ष चिराग पासवान के हरेक फैसलाक संग मजबूती सँ ठाढ़ छथि।

रामविलास पासवान शुक्रदिन भोर में बेहद भावनात्मक ट्वीट में लिखलनि जे हमारा अहि बातक ख़ुशी अछि जे हमर पुत्र हमरा संग छथि आ हमर सेवा क’ रहलाह अछि। पार्टी सँ ल’ क’ परिवार तक केँ हरेक फैसला हम हुनका संग छि। हमरा विश्वास अछि जे चिराग परिवारक संग-संग पार्टी केँ अपन युवा सोचक संग नव ऊँचाई धरि ल’ जेताह।

एकटा दोसर ट्वीट में लिखलनि अछि जे जखन देश कोरोना के कारण बेहाल छल तखन हम बीमार छलहूँ। मुदा देशक हर कोन में खाद्य सामग्री समय पर पहुँचे एही लेल अस्पताल में भर्ती नहि भेल रही। आब किछु हालत सामान्य देखना जा रहल अछि ताहि कारण आब भर्ती भ’ रहल छि। आ उम्मीद अछि जल्दिए स्वस्थ भ’ अहाँ सभक बीच होयब।

बतादी जे चिराग केँ पिताक समर्थन ओहन समय मेँ भेटलनि अछि, जखन हुनक पार्टी लोजपा आ जदयू में वाक युद्ध चलि रहल अछि। जनतब होयत जे लोकसभा चुनाव केँ समय स्वयं रामविलास पासवान पार्टीक कमान चिराग पासवान केँ सौंपी देने छलाह। तहिये सँ चिराग पार्टीक नीति तय करैत छथि। सियासी पंडित लोकनि केँ मुताबिक रामविलास पासवान केँ एही बयानक  बहुत पैघ सियासी मतलब थिक। जकर परिणाम आबै वला समय में देखबाक भेटत।

गौरतलब अछि जे 14 सितंबर केँ चिराग पासवान संग गृहमंत्री अमित शाह के वार्ता सेहो छनि। तकरा बाद चिराग एनडीए के हिस्सा रहताह वा नहि से तय होयत। एम्हर भाजपा के राष्ट्रीय अध्यक्ष जेपी नड्डा सेहो अपन दू दिवसिय दौरा पर बिहार आबि रहल छथि आ मुख्यमंत्री संग बैसार सेहो छनि। भ’ सकैत अछि एही मुलाकातक बाद लोजपा आ जदयू के बीच चलि रहल रार पर चर्चा होयत आ एकर निदान निकालबाक प्रयास कएल जायत।