मुजफ्फरपुरक घटना : पटना हाईकोर्ट सरकार आ सीबीआईसँ मँगलक रिपोर्ट

0
405

पटना, मिथिला मिरर : पटना हाईकोर्ट आब मुजफ्फरपुर बालिका गृह यौनशोषण मामलाकेँ  मॉनिटरिंग करत। सोमदिन हाईकोर्टमे एहि मामला पर सुनवाई शुरू भेल।  केसक सुनवाई करैत कोर्ट सीबीआईकेँ नोटिस जारी करैत कहलक जे अखन तक कएल गेल कार्रवाइक पूरा ब्यौरा दू सप्ताहक भीतर जमा कएल जाय। मुख्य न्यायाधीश राजेंद्र मेननक खंडपीठ एहि मामला पर सुनवाई करैत कहलाह जे  एहि मामलाक स्पीडी ट्रायल लेल स्पेशल जजकेँ नियुक्ति सेहो कएल जायत। कोर्ट एहि  मामलाक सुनवाई दू सप्ताह बाद फेरसँ करत। कोर्टकेँ इहो जानकारी देल गेल जे एहि मामलामे सुप्रीम कोर्ट सेहो संज्ञान लेलक अछि संगहि राज्य सरकार आ केंद्र सरकारसँ रिपोर्ट सेहो तलब  केलक अछि। हाईकोर्टकें इहो बताओल गेल जे मुजफ्फरपुरक बालिका सुधारगृहमे बचिया सभक यौन शोषण भेल संगहि राज्य केर अन्य जिलाक शेल्टर होममे बच्चा-बचियाकेँ  सभक साथ सेहो यौन उत्पीड़नक घटना भेल अछि। मुख्य न्यायाधीश राजेंद्र मेननक खंडपीठ कहलथि जे मुजफ्फरपुर महिला पी एस 33/2018 सँ जुड़ल सभ मामलाक सुनवाई एकहि न्यायाधीश करताह। बतादी जे विपक्षी पार्टीसभक दबाबमे  सरकार एहि हाई प्रोफाइल मामलाक जांच हाईकोर्टक मॉनिटरिंगमे करेबाक अनुरोध चीफ जस्टिससँ कएने छल।