ब्रजलेश्वरनाथ आ मढि़याधाममे हजारों कांवरिया केलथि जलाभिषेक

    0
    345

    भागलपुर/सीतामढ़ी,  मिथिला मिरर : भागलपुर नवगछियामे सावनक सोमवारी पर बिहपुर प्रखंडके मड़वा गाम स्थित महादेव बाबा ब्रजलेश्वरनाथ महादेव पर 25 हजारसँ बेसी शिवभक्तक जलाभिषेक करबाक बात कहल जा रहल अछि । एहन खबरि अछि जे एहि लेल बिहपुर क्षेत्र सहित दोसरो जिलाक डाकबम जल बोझय लेल रविदिन साँझतक सुल्तानगंजक अगुवानी गंगा घाट पहुंचि गेलाह। बोलबम आ हरहर महादेवक  जयकारासँ पूरा इलाका गुंजायमान अछि। मंदिर ट्रस्ट कमेटीके सदस्य विलास कुंवर,  संजीव कलाकार आ मुकेश झा बतौलनि जे अगुवानी गंगा घाट बोलबमके जयकारा आ भक्ति गीतसँ गूंजि रहल अछि। ब्रजलेश्वरनाथधाम पहुंचयवला शिवभक्तक सुरक्षा लेल झंडापुर ओपी पुलिसक महिला आ पुरुष जवान सादा कपड़ामे मंदिरक बाहर तैनात रहताह।

    सीतामढ़ीक भुतही भारत-नेपाल सीमासँ 10 किलोमीटर पूब स्थित मढि़याधामक प्रसिद्ध बाबा मानकेश्वरनाथ पर सावनकेँ दोसर सोमवारिक दिन 15 हजार कांवरिया जलाभिषेक केलथि। कांवरियाक भीड़ देखैत मंदिर प्रशासन नियमित समयसँ एक घंटा पहिने 2 बजे राइतमे गर्भगृह खोलि देलक। ओहि समयसँ जलाभिषेकक सिलसिला शुरू भ’ गेल जे साँझ धरि चलैत रहल। कांवरियाक सेवामे नेपाल प्रशासन,  भारतीय सीमा पर स्थित एसएसबी आ सोनबरसा पुलिस सुरक्षामे जुटल रहल। बतादी जे नेपालक नुनथर पहाड़सँ निकलल बागमती नदीक पवित्र जल भरि कांवरिया 60 किलोमीटर धरि पथरीली सड़क पर पैदल यात्रा करैत नवलपुर,  हरिऔन, सलमपुर, गम्हरिया, हरिपुर होइत भारतीय सीमामे चिलरा, चिलरी, रोहुआ, कोहवरवा, जयनगर, तिलंगही, जमुआहा होइत बाबाक  दरबारमे पहुँचि जलाभिषेक करैत छथि।