गैस कनेक्शन पाबि गृहणी सभ भेलीह आनंदित

0
414

मधुबनी,  मिथिला मिरर : रविदिन गिलेशन बाज़ार स्थित दुर्गा मंदिर प्रांगणमे सूरी युवा द्वारा आयोजित उज्जवला योजना कार्यकर्ममे मधुबनीक जिलाधिकारी श्री शीर्षत कपिल अशोक  भाग लेलनि। एहि अवसर पर 30टा लाभार्थीकेँ  गैस सिलेंडर,  चूल्हा आ रेगुलेटर देलथि। जिलाधिकारी मुख्य अतिथिकेँ रूपमे कार्यकर्मकें संबोधित करैत सूरी युवा शक्ति द्वारा कएल गेल प्रयासकेँ सराहना केलथि संगहि कहलाह जे गैस चूल्हासँ पर्यावरण आ स्वास्थ्य पर पड़य बला ख़राब प्रभावसँ  बचल जा सकैत अछि। किंचित इहे  कारण अछि जे एहि साल गर्मीमे आगिलग्गीकें कुनो पैघ घटना नै भेल। पहिले किछु लोककें गैस कनेक्शन भेटैत छल मुदा आब सरकारक प्रयाससँ सभक लेल शुलभ अछि। प्रदूषण सेहो कम भेल संगहि गृहणी सभक रोजमर्राकें काज सेहो असान भ’ गेलनि अछि। चूल्हा भेटलाकेँ बाद महिला सभ खुशी जतोलनी आ कहलीह जे लकड़ीसँ  खेनाइ  बनावैमे बहुत  समय लगैत अछि  संगे धुआँसँ कतेको तरहक बीमारी सेहो जन्म लेत अछि। आब चूल्हा भेटलासँ समय बचत जकर सदुपयोग कुनो आओर काजमे क’ सकैत छी संगहि बीमारीसँ सेहो बचब। कार्यक्रमक अध्यक्षता सूरी युवा शक्तिक अध्यक्ष केलनि। कार्यक्रममे संस्थाक सचिव कृष्णा कुमार महासेठ,  कोषाध्यक्ष अमरनाथ प्रधान आदि शामिल भेलथि ।