वर्षो सं उपेक्षित अहि सड़ककें अछि देखनिहारक दरकार

    0
    273

    सुपौल, मिथिला मिरर: एक दिस सरकार दावा कए रहल अछि जे, चारुदिस सड़कक जाल बिछाओल जा रहल अछि। पुल-पुलिया बना कय गांमक लोकक लेल आवागमनमे सुविधा बहाल कएल जा रहल अछि। परन्तु, यदि बात हो सदर प्रखंडक हरदी पश्चिम स्थित सड़कक त विकासक बात बईमानी लागैत अछि।

    उक्त सड़कक वर्षो पूर्व ईटा सं निर्माण कराओल गेल छल। परन्तु निर्माणक किछुए दिन बाद सं ओ टूटय लागल, आ एखन जर्जर अवस्थामे पैदल अछि। मुदा आय ओहि सड़क पर ने त कोनो विभागीय अधिकारीक ध्यान गेल आ ने कोनो जनप्रतिनिधिकें

    ई सड़क विशनपुर, वीणा आदि गांमकें जोड़बाक काज करैत अछि। स्थानीय लोक जीवन पाठक, देवेन्द्र यादव, अरूण यादव, डोमी यादव, मो. जावेद, मो. कलीम, अशोक कुमार, त्रिभुवन राम, सज्जन मुखिया आदि प्रशासनिक अधिकारी व स्थानीय जनप्रतिनिधि सं अहि सड़क दिस ध्यान आकृष्ट करबैत सड़कक मरम्मतिक मांग केलनि, ताकि लोकक आवाजाहीकें सुलभ बनाओल जा सकए। मुदा एखन धरि अहि दिस ककरो ध्यान नहि गेल।