दरभंगा-मुजफ्फरपुर रेल लाइन निर्माण लेल आंदोलन’क तैयारी शुरू

    0
    462

    दरभंगा, मिथिला मिरर: दरभंगा-मुजफ्फरपुर रेल लाइन निर्माण मोर्चा के बैनर तर रविदिन तारालाही मे एकटा आम बैसक कायल गेल, जाहि मे क्षेत्रक जनप्रतिनिधि सहित बुद्धिजीवी वर्गक लोक भाग लेलनि।अहि बैसक मे निर्णय लेल गेल जे, रेल लाइन निर्माणक लेल क्षेत्र मे जागरूकता अभियान चलाओल जाय। बैसक कय रहल लोकक कहब छल जे, सन 1997 मे दरभंगा स मुजफ्फरपुर रेल खंडक सर्वे भेल, मुदा सरकारी उदासीनताक कारण एखन धरि निर्माणक नाम पर किछु नहि भेल।

    दरभंगा-मुजफ्फरपुर रेल लाइन निर्माण मोर्चाक सदस्य मोहम्मद सफदर इमाम कहलनि जे, यदि ई रेल खंड अस्तित्व मे आयत त दरभंगा-मुजफ्फरपुर के दूरी महज 49 किलोमीटर भय जायत। अहि संबंध मे हमसब कतेको बेर रेल मंत्रालय स लय क रेल मंत्री तक सं पत्राचार केलहु, मुदा आश्वासन के आलावा किछु नहि भेटल।

    ओ कहलनि जे, यदि अहि रेल लाइनक निर्माण होयत त हमसब मात्र 6 गोट स्टेशन तय कय मुजफ्फरपुर पहुंच सकब। अहि सं यात्रीक समय के संग-संग रुपैयाक सेहो बचत होयत।