पहिल कनियाँकें छोड़ि कए दोसर बियाह कए रहल बरकें मंडप सं उठेलक पुलिस

    0
    308

    मधुबनी, मिथिला मिरर: दोसर बियाह करबाक लेल मंडपमे बैसल बर अप्पन कनियाँक इंतजार कय रहल छल कि पहिल कनियाँ देख लेलक आ बरकें सीधे हवालात पहुंचा देलक। बियाहक अरमान सजौने बर जेलक पाछु पड़ल अछि। जहन पुलिसक डंडा पड़ल त बर अप्पन कनियाँ पर इल्जाम लगबैत कहलक जे, यही यैह संग रहय त दोसर बियाह कियैक करब?

    घटना बुधदिन रातिक अछि, जानकारीक अनुसार जयनगर थाना क्षेत्रक हटलेटवा कमलाबाड़ी गामक निवासी इन्द्रजीत रामक बियाह सिरहा( नेपाल)मे करीब पांच साल पूर्व भेल छल। इन्द्रजीत गुजरातक सूरतमे ड्राइवरकें काज करैत अछि। बियाहक बाद ओ कनियाँकें लय कय ओतहि चलि गेल। तीन साल पहिने एकता बेटाक पिता सेहो बनल। मुदा बर-कनियाँमे सदैव अनबन चलैत रहैत अछि।

    अढाई साल पहिने ओ अप्पन कनियाँकें नहिरामे छोड़ि वापस चलि गेल छल। अहिकें बाद ओ कलुआही थाना क्षेत्रक नरार पश्चिममे अप्पन बियाह तय केने छल। गाजा-बाजाक संग बियाह करबाक लेल पहुंच गेल छल। अहि बातक भनक पहिल कनियाँकें लागल आ ओ अप्पन परिजनक संग ओतय पहुंच कय जबरदस्त विरोध जताबय लगलीह।

    ओकरा अनुसार इन्द्रजीत आ कनियाँक परिजन द्वारा गाली-गलौज एवं मारिपीट सेहो भेल। अहिकें बाद पहिल कनियाँ थानामे शिकायत कए बरकें सीधा जेल पठा देलक।