बीमारिक बादो नहि भेटल रेलवे गार्ड के छुट्टी, ड्यूटी पर मौत

    0
    391

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर मे रेलवेक एकटा गार्डक ड्यूटी पर मौत हेबाक मामला प्रकाश मे आयल अछि। गार्डक मौत सं तमसायल रेलकर्मी मुजफ्फरपुर मे रेलक परिचालन ठप्प करा देलक अछि।अहि घटना सं दिल्ली सं आबय वला वैशाली सुपर फास्ट आ स्वतंत्रता सेनानी सुपर फास्ट ट्रेन बहुतो काल रुकल रहल। रेलकर्मीक हंगामा सं यात्री परेशान रहल।

    जानकारीक अनुसार बीमारी सं पीड़ित गार्ड विजय शंकर दू महिना सं पटना मे इलाजरत छल, बावजूद गार्ड के ड्यूटी पर लगाओल जा रहल छल। रेलकर्मी आरोप लगेलक अछि जे, रेलवेक डॉक्टर उच्चाधिकारी के दबाव मे विजय शंकर के जबरदस्ती स्वस्थ्य करार देलक अछि।

    शनिदिन सेहो गार्ड अप्पन छुट्टीक गुहार लगा रहल छल, मुदा अधिकारी गार्ड के ललकारि कय भगा देलक। जाहि के बाद घबराहट मे गार्डक मौत भय गेल। आरोप अछि जे, रेलवे मे रुपैया लय कय बीमारक छुट्टी देल जा रहल अछि आ नहि ढेला पर जबरदस्ती फिट करार देल जाइत अछि।

    डीआरएम सोनपुर एम के अग्रवाल के आश्वासन पर कर्मी मानलक अछि। डीआरएम मृतकक एक परिजन के एक महिनाक भीतर नौकरी देबा आ सब तरहक भुगतान करबाक आश्वासन देलक अछि।