दरभंगा मे छेड़खानी पर लड़की केलक बदमासक पिटाई

    0
    298

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा के विश्व विद्यालय परिसर मे रविदिन मनचला सब के लड़कीक हिम्मत आ बहादुरीक प्रत्यक्ष प्रमाण देखबाक लेल भेटल। पहिने त मनचला सब लड़की के संग छेड़छाड़ केलक। मुदा लड़की नजरअंदाज केलक, मुदा जहन हरकत बढ़ल त एकटा मनचला के थापड़ मारल। अहि सं नाराज मनचला सब सरेआम पिटाई करय लागल कि लड़की शेरनी बनि कय टूटि पड़ल। अंत मे लड़का माफी मांगि कय कान पकड़लक आ उठक-बैठक कय जान छोड़ौलक।

    जानकारीक अनुसार दरभंगा के ललित नारायण मिथिला विवि परिसर मे थानाक समीप दू बहिन ठाठ छल। ओतय किछु मनचला अब लड़की पर फब्ति कसय लागल। दुनु अहि बात के नजरअंदाज केलनि त मनचलाक हरकत बढ़य लागल। ओ दुनू बहिन के छूबाक कोशिश केलक। अहि पर दूनू एक टा मनचला के चांटा मारि देलक।

    अहि के बाद मनचला दूनू बहिन के पिटब शुरू कय देलक। अहि पर दूनू बहिन बचावक लेल हल्ला केलनि आ मनचला पर टूटि पड़ल। अहि बीच जुटल भीड़ सेहो मनचला के खबरि लेबय लागल। पिटाई सं घायल मनचला दूनू बहिन सं माफी मांगय लागल।