आब जेल सं अबैत अछि वसूलीक फोन

    0
    251

    मधुबनी, मिथिला मिरर: एखन धरि बिहार मे बढ़ैत अपराधक उदहारण जेलक बाहरे धरि सिमित छल, मुदा आब जेल सं सेहो अपराधी लोक के धमकाबय आ रुपैया मंगबाक काज कय रहल अछि। जाहि सं लोक भयभीत छथि।

    मामला झंझारपुर उपकारा के अछि। सूत्रक अनुसार अहि उपकारा सं खुटउना थाना अन्तर्गत दुर्गीपट्टी निवासी विकाश मंडल के फोन पर धमकी भेटल छल। फोन करय बला व्यक्ति विकाश मंडल स कहलक जे, अविलंब तीन हजार रुपैया उपकारा के वार्ड नंबर 03 मे केशव नामक व्यक्ति के पहुचा देल जाऊ, नहि त जान सं हाथ धो लेब। सूत्रक अनुसार ई फोन जेल सं गेल छल, पुलिस मामलाक जाँच के रहल अछि।