झंझारपुर मे बच्चा के लय क महिला फरार, सीसीटीवी मे कैद भेल दृश्य

    0
    324

    मधुबनी, मिथिला मिरर: झंझारपुर के आर एस ओपी के कैथिनियां-पथराही गुमती स्थित शिशु रोग विशेषज्ञ डॉक्टर सत्यदेव के क्लिनिक परीसर स एकटा महिला 8 महिनाक बच्चा के लय क फरार भय गेल। जाहि सं समुच्चा इलाका मे रोष व्याप्त अछि।

    दरभंगा निवासी आरती देवी अप्पन सासुक संग बच्चा के डॉक्टर सं देखेबाक लेल आयल छली। अहि क्रम मे बच्चाक माय एकटा अंजान महिला के बच्चा थम्हा कय दबाई लेल गेली, दबाई लय क महिला जहन वापस एली त बच्चाक संग महिला गायब छल।

    बच्चा के चहुदिस खोजल गेल मुदा बच्चाक कोनो पता नहि। बाद मे सीसीटीवी कैमराक फुटेज मे महिला के बच्चा लय क भगबाक दृश्य देखल गेल। अहि फुटेज के आधार पर बच्चा के खोजबाक प्रयास कायल जा रहल अछि।