बहेड़ीक बघौनी गाममे महाविष्णु यज्ञक उद्घाटन

    0
    335

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगाक बहेड़ी प्रखंडके बघौनी गाममे अयोध्या सं आएल आचार्य विरेन्द्र शास्त्री मंत्रोचारणकें संग नौ दिवसीय श्री श्री 1008 पंचकुंडीय महाविष्णु यज्ञक उद्घाटन केलनि। अहि मौका पर अंतर्राष्ट्रीय कथावाचक अयोध्याकें राधेश्याम शास्त्री भगवत कथा सुना कए वातावरणके भक्तिमय बना देलनि। ओतहि अयोध्याकें अजित शुक्ल, सोम प्रसाद वैदिक, धर्मवीर शास्त्री, हरिश्चन्द्र पाठक, अनिल महादेव शास्त्री आ स्थानीय विपिन महाराज पूजा-अर्चना केलनि।

    अहि मौका पर रासलीलाक सेहो आयोजन कएल गेल। जाहिमे वृन्दावन सं आएल स्वामी संजय जी अपन प्रस्तुती देलनि। रामकथा बलरामदासजी शास्त्री आ संगीत निशा भारतीकें छलनि। स्थानीय राम किशनजी महाराजक नेतृत्वमे 9 दिन तक चलए वला अहि कार्यक्रममे जजमान शिवनंदन सिंह सेहो मौजूद छलाह।