निगरानी टीम केलक ‘एसडीपीओ’ आ ‘एसडीओ’ के गिरफ्तार

    0
    276

    मधुबनी, मिथिला मिरर-निशांत झा: बिहार के मधुबनी जिला मे विजिलेंसक टीम एकटा पैघ कार्रवाई केलक।विजिलेंसक टीम जिला के जयनगर सं एसडीओ आ डीएसपी के गिरफ्तार केलक अछि। निगरानी अन्वेषण ब्यूरोक टीम बृहस्पति दिन भोर मे कार्रवाई करैत मधुबनी के जयनगर के एसडीपीओ चंदन पुरी, एसडीओ गुलाम मुस्तफा अंसारी आ बॉडीगार्ड के गिरफ्तार केलक अछि।

    जानकारी के अनुसार दुनू अधिकारी के एकटा पटाखा व्यवसायी के लाइसेंस देबाक लेल रिश्वत लेबाक आरोप मे पकड़ल गेल अछि। सूत्रक अनुसार पटना सं पहुंचल निगरानी’क टीम जाल बिछाकय ई कार्रवाई केलक।

    मधुबनी के एसपी दीपक बर्नवाल के अनुसार कोनो शिकायत के आधार पर कार्यवाई के दौरान दूनू अधिकारी के निगरानी टीम गिरफ्तार केलक अछि। गिरफ्तारी के बाद आब मुजफ्फरपुर स्थित निगरानी के विशेष अदालत मे दूनू के पेश कायल जायत।

    हाल के दिन मे ई पहिल मामला अछि जहन निगरानीक टीम एतेक पैघ कार्रवाई करैत एक संग प्रशासनिक सेवा के दू टा पैघ अधिकारी के गिरफ्तार केलक अछि। दूनू अधिकारी के गिरफ्तार करबाक बाद टीम अधिकारी के आवास आ कार्यालय मे छापेमारी कय रहल अछि।