हथियारक जखीरा’क संग पकड़ल गेल तीन दर्जन मामला मे वांटेड ‘शूटरवा’

    0
    305

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बेगूसराय मे चर्चित दोहरा हत्याकांड के मुख्य आरोपी अजीत कुमार उर्फ शूटरवा के पुलिस एकटा अन्य सहयोगी के संग गिरफ्तार केलक अछि। पुलिस शूटरवा के संग सं भारी मात्रा मे हथियारोक जखीरा सेहो बरामद केलक अछि। जिला के कुख्यात अपराधी अजीत उर्फ शूटरवा पर डेढ़ दर्जन सं अधिक संगीन मामला के अलावा तीन दर्जन सं अधिक मामला दर्ज अछि।

    शूटरवा के संग सं पुलिस एकटा कारबाईन, दू टा मैगजीन, चारि टा पिस्टल, सात टा देशी पिस्तौल के संग कुल 35 टा जिदां कारातूस बरामद कायल गेल अछि। शूटरवा के गिरफ्तारी तखन कायल गेल जहन दियारा इलाका मे कोनो पैघ व्यवसायी के हत्याक योजना बनाओल जा रहल छल।

    गुप्त सूचना के आधार पर भेल अहि कार्रवाई मे पुलिस के इहो पता चलल अछि जे, ई मुंगेर के एकटा हथियार तस्कर सं हथियारक खरीद फरोख्त के योजना बना रहल छल। शूटरवा के गिरफतारी के पुलिस एकटा पैघ सफलता मानि रहल अछि।