पाक अधिकृत कश्मीर मे फेर लागल आजादी के नारा, पाक सेना के हटेबाक मांग तेज

    0
    360

    कश्मीर, मिथिला मिरर: पाकिस्तानी सेना के बर्बरता’क खिलाफ पाक अधिकृत कश्मीर मे बृहस्पति दिन एक बेर फेर लोक सड़क पर उतरि आयल। मुजफ्फराबाद मे प्रदर्शन कय रहल लोक आजादी के नारा लगबैत पाक सेना के हटेबाक मांग केलक।

    पीओके मे शांतिपूर्ण ब्लैक डे प्रदर्शन मे शामिल लोक पर पुलिस लाठीचार्ज केलक। प्रदर्शनकारी के बुरी तरह सं पीटल गेल। प्रदर्शनकारी एक स्वर मे कहलनि जे हमरा आजादी चाही। पाकिस्तान के एतय सं अप्पन सेना हटा लेबाक चाही। हम ई बर्दाश्त नहि कय सकैत छी।

    एक प्रदर्शनकारी कहलनि जे, पाकिस्तान अप्पना आप के त संभालि नहि पबैत अछि। नवाज शरीफ दुनिया के जाहि कोन मे जाईत छथि, राहिल शरीफक साया हुनका संग होइत छन्हि। गौरतलब अछि जे, बलूचिस्तान आ पीओके मे लोक पाक सेना’क बर्बरता सं परेशान अछि। ओतय लगातार पाक सरकार आ सेना के खिलाफ प्रदर्शन होइत रहैत अछि।