नशेड़ीक अड्डा बंद करेबाक लेल महिलाक प्रदर्शन

    0
    252

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुरमे नशाकें विरोधमे महिला सब नशेड़ी सभक ठिकाना पर हमला कए देलक, महिलाक आक्रोश देखकय नशेड़ी अपन अड्डा छोड़ि कए भागय लागल। योगिया मठमे हंगामाक बाद महिला पंचायत बजाओल गेल, जतय एकटा नशेड़ीकें माफीनामा देबाक बाद छोड़ल गेल। घटनाक सूचनाकें बाद नगर थानाक पुलिस सबकें समझा बुझा कए मामला शांत केलक।

    योगिया मठ मोहल्लामे रविदिन साँझमे नशाक हालतमे मोहल्लाक आसपासक़ एकटा युवक गाली-गलौज कय रहल छल। महिला आरोप लगेलक अछि जे, ओ अभद्र व्यवहार कय रहल छल। घटनाक बाद भोरे-भोर महिला सब स्थानीय लोककेँ बजाकए पंचायत रखलक। पंचायतमे अभद्र व्यवहार करय वला युवक सं लिखित माफीनामा लेल गेल। अहि बीच आक्रोशित महिलाक टोली अवैध शराब चरस, अफीम-गाजाक संग सट्टेबाजीके अड्डा पर भीड़ टूटि पड़ल आ धंधा बंद करा देलक।

    उषा देवी, आशा देवी आ अनीता देवी कहलनि जे, नशा सं समुच्चा समाज बर्बाद होईत अछि, एकर बराबर विरोध होयत। युवकक पत्‍‌नी खुशीक इजहार करैत कहलनि जे, नशाक धंधा बंद हेबा सं नीक अछि। पुलिस भीड़क सामने नशाक कारोबारकें समाप्त करबाक लेल मोहल्ला वासीकें सहयोग करबाक आश्वासन देलक अछि।