महज एकटा प्रधानाध्यापककें सहारे चलैत अछि विद्यालय

    0
    250

    दरभंगा, मिथिला मिरर: शिक्षामे गुणवत्ताक पड़तालक जहन-जहन बात कएल गेल अछि, सरकारक कुव्यवस्था अनायास सामने आबि जाइत अछि। राजकीयकृत प्राथमिक विद्यालय उर्दू मुहम्मदपुरमे प्रधान शिक्षिका समेत दू टा शिक्षकमे सं मात्र प्रधान शिक्षिका मौजूद छली। शिक्षिका रोजलीन लकड़ाके आकस्मिक अवकाशमे रहबाक बात कहलनि। वर्ग एक सं पांच तकके बच्चा फर्श पर बैसकय पठन-पाठन करबाक लेल मजबूर अछि। एकटा चापाकल खराब पड़ल अछि, किचेन शेड, खेल मैदानक संग-संग चहारदिवारीक घोर अभाव अछि।

    शिक्षिका कहलनि जे, बच्चाककें गुणवत्तापूर्ण शिक्षा देल जा रहल अछि। मेनूके अनुसार बच्चाकेँ मध्याह्न भोजन उपलब्ध कराओल जाईत अछि। कमराक कमीके कारण शिक्षककें पढ़ेबामे काफी परेशानी होईत अछि। ओतहि किचेन शेड नहि रहला सं रसोइयाकें खाना बनेबामे कठिनाई होईत अछि। सरकारी आदेशकें पूर्ण रूपे पालन कएल जाइत अछि। विद्यालयक अन्य समस्याक संबंधमे विभागक अधिकारीकें अवगत कराओल गेल अछि।