निगम चुनावमे केजरीवालक मुश्किल बढ़ा रहल अछि बागी विधायक

    0
    252

    दिल्ली, मिथिला मिरर: दिल्ली नगर निगम चुनावक लेल नामांकन प्रक्रिया सं ठीक पहिने बवाना सं आम आदमी पार्टीक विधायक वेद प्रकाश शर्मा भाजपामे शामिल भेलाक बाद ‘आप’के बागी विधायककें मुख्यमंत्री अरविंद केजरीवाल पर निशाना साधबाक नब मौका भेटि गेल। आब चुनाव प्रचार जोर पर अछि आ मतदानक लेल गिनतीक दिन बचल अछि। ऐहेनमे सुल्तानपुरी सं आप विधायक संदीप कुमारक खुलेआम दोसर प्रत्याशीके समर्थनमे प्रचार करबाक घटना आम आदमी पार्टीक चिंता बढ़ा देलक अछि।

    हालांकि, अहि बातक आशंका पहिने लगाओल जा रहल छल। आप विधायक पंकज पुष्कर, कर्नल देवेंद्र सहरावत, आसिम अहमद खान, राजेश ऋषि ई नाम बागीक तौर पर पहिने सार्वजनिक भए चुकल अछि। निगम चुनावमे टिकट बंटवारा सं आम आदमी पार्टीक बहुतो विधायकमे असंतोष अछि।

    ओतहि, ऐहेन मानल जा रहल अछि जे, चुनाव नतीजा पार्टीक अनुमानक विपरीत रहल त स्थिति बदलि जाएत। एकटा विधानसभा क्षेत्रक अंतर्गत चारिटा निगम वार्ड अबैत अछि। अहि स्थितिमे आप प्रत्याशिक समर्थनमे प्रचार-प्रसारक संग-संग अहि पर सेहो नजरि लगेने अछि जे, कहीं बागी विधायक पार्टीक खिलाफ गतिविधीमे त नहि शामिल अछि।