रालोसपाक बिहार इकाई भंग, अध्यक्ष पद सं बर्खास्त कैल गेलाह डाॅ अरूण कुमार

    0
    276

    दिल्ली-मिथिला मिररः राष्ट्रीय लोक समता पार्टीक बिहार प्रदेश अध्यक्ष आ जहानाबाद सं पार्टीक सांसद डाॅ. अरूण कुमारकें पार्टीक प्रदेश अध्यक्षक पद सं बर्खास्त कऽ देल गेल। दिल्लीमे पार्टीक राष्ट्रीय अध्यक्ष आ केन्द्रीय मानव संसाधन विकास राज्य मंत्री पार्टीक किछु अन्य नेता सं बातचीत कऽ रालोसपाक बिहार इकाईकें भंग करवाक निर्णय लैत डाॅ. अरूण कुमारकें राज्य प्रमुख पद सं हटेवाक घोषणा कैलनि।
    उपेन्द्र कुशवाहा आ डाॅ. अरूण कुमारक बीच बहुत दिन सं अंतर कलह चलि रहल छल आ कतेको बेर इ कहल सार्वजनिक सेहो भए गेल छल। मुदा विधानसभा चुनावक समय टिकट बंटवाराकें लए जे गतिरोध बनल ओ अहिठाम तक आबि गेल। डाॅ. अरूण कुमारकें पद सं हटेलोक बाद आ दुनू ग्रुपमे टकराव हेवाक पूर्ण आसार अछि। अपनेकें बता दी जे डाॅ. अरूण कुमार दोसर बेर जहानाबाद सं लोकसभा सांसद बनलाह अछि।