चुनाव प्रचार समाप्त, मतदानक लेल कएल गेल पुख्ता इंतजाम

    0
    258

    दिल्ली, मिथिला मिरर: भारतीय जनता पार्टी, कांग्रेस आ आम आदमी पार्टीक लेल प्रतिष्ठाक सवाल बनल दिल्ली नगर निगम चुनावक लेल प्रचार समाप्त भए गेल अछि। अरविंद केजरीवालक आम आदमी पार्टी पहिल बेर निगम चुनावमे ताल ठोंकि रहल अछि आ आपके एला सं मुकाबला त्रिकोणीय भए गेल अछि।

    भाजपा, कांग्रेस आ आपके अलावा योगेंद्र यादवकें स्वराज इंडिया सेहो पूरा दमखमके संग चुनाव मैदान मे उतरल अछि। राष्ट्रवादी कांग्रेस पार्टी (राकंपा), जनता दल (यू), समाजवादी पार्टी (सपा), बहुजन समाज पार्टी (बसपा), वामपंथी दलक अलावा किछु अन्य पार्टी सेहो बहुतरास वार्डमे उम्मीदवार उतरलक अछि।

    तीनू प्रमुख दलके लेल निगम चुनाव प्रतिष्ठाक सवाल बनल अछि। दिल्ली विधानसभा चुनावमे प्रचंड बहुमत सं जीतय वला ‘आप’ पार्टी जतय पंजाब आ गोवा विधानसभा चुनावक हार सं उबरबाक कोशिशमे अछि, ओतहि भाजपा उत्तर प्रदेश विधानसभा चुनावमे पार्टीकें भेटल ऐतिहासिक जीतक बाद तेसर बेर निगम पर काबिज हेबाक सपना देखि रहल अछि। 2015मे दिल्ली विधानसभा चुनावमे कांग्रेसक सूपड़ा साफ होभेल छल। आब पार्टी अहि चुनावक जरिए अपन जमीन हासिल करबाक कोशिशमे अछि।

    हालांकि चुनाव सं पहिने कांग्रेसक दिग्गज नेता आ पूर्व मंत्री अरविंदर सिंह लवली आ दिल्ली युवा कांग्रेसक अध्यक्ष अमित मलिकके भाजपामे शामिल भेला सं कांग्रेसके झटका लागल अछि। दिल्ली महिला कांग्रेस अध्यक्ष बरखा शुक्ला सिंहके आरोप सं सेहो पार्टीकें नुकसान हेबाक आशंका अछि।