कथा व आलोचना’क किताबक समारोहपूर्वक लोकार्पण

    0
    270

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: नगरक महंत साह चौक स्थित सनातन पुस्तकालय मे रविदिन समारोह पूर्वक कथा व आलोचनाक किताबक लोकार्पण कायल गेल। मौका पर मौजूद मुख्य अतिथि प्रो. विजय कुमार शांडिल्य समेत अन्य विद्वतजन दूनू किताब पर अप्पन विचार रखलनि। प्रसिद्ध कथाकार राजेंद्र सिन्हाक कहानी संग्रह ‘उस पार प्रकाश है’ आ एक नयी सुबह के संपादक डॉ. दशरथ प्रजापतिक आलोचना  किताब ‘भवानी प्रसाद मिश्र का काव्य जगत’ विमर्शक मुख्य केंद्रबिंदु रहल।

    संचालन डॉ. प्रमोद प्रियदर्शी केलनि। ‘उस पार प्रकाश है’ राजेंद्र सिन्हाक 11 टा कहानीक संग्रह अछि। वक्ता सब कहलनि जे, संग्रह कहानी के पढ़ैत अहि के कथानक मे बिल्कुल बन्हि जायब। अहि के भीतर के पात्र बिल्कुल अपन प्रत्यक्ष रूप सं संवाद करैत नजरि आओत। अहि कहानी मे छोट-छोट किंतु महत्वपूर्ण समस्या के उठाओल गेल अछि।

    समारोह मे डॉ. रमन शांडिल्य, रामेश्वर चौधरी, प्रो. गणेश राय, डॉ. के.एन गुप्ता, रामभद्र, विमल कुमार परिमल, संत रस्तोगी, कल्याणी शाही, सुभद्रा कुमारी, कीर्ति कुमारी, रीना मिश्रा रश्मि, सुरेश वर्मा, रामबाबू नीरव, अशरफ मौलानगरी, प्रो. जीतेंद्र कुमार वर्मा, अरुण माया, दिनेशचंद्र द्विवेदी, प्रो. विजय कुमार, अशोक कुमार, सुधीर कुमार आदि विचार रखलनि।रखे।