कालाजार उन्मूलनक लेल काज क’ रहलाह अछि डॉ. सी.पी ठाकुर

0
689

मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर : भाजपा सांसद आ प्रख्यात चिकित्सक डॉ. सी.पी ठाकुर कालाजारकेँ लेल देशी दवाई बनेता। कालाजारकेँ खत्म करबाक लेल कएल गेल प्रयासकेँ कारण डॉ. सी.पी ठाकुरकेँ प्रसिद्धी भेटल छलनि। डॉ. ठाकुरकेँ कालाजार उन्मूलनमे बड्ड पैघ सफलता भेटल छलनि। आब डॉ. ठाकुर कालाजार उन्मूलनक लेल देशी तकनीककेँ बढ़ावा देबाक फैसला केएलनि अछि। एहि वास्ते देसी दवाई बनेबाक लेल स्वयं खेती क’ रहल छथि। एहि लेल ओ मुजफ्फरपुर स्थित सकरा थाना अन्तर्गत अपन पैतृक गाम दुबहामे जड़ी-बूटी लगौलनि अछि। बीच-बीचमे अपने जा ओकर निरीक्षण करैत छथि। रविदिन ठाकुर अपन गाम गेल छलाह आ  खेतीक जायजा लेलाह। एहिलेल ओ अपन ग्रामीण लोकनिकेँ सेहो प्रेरित करैत छथि। डॉ. सीपी ठाकुर कहलनि जे हुनक इच्छा छनि जे ई दुनियाँ पूर्ण तरहें कालाजार मुक्त भ’ जाए। डॉ. ठाकुर बचपनमे खुद एहि बीमारीक दंश झेलने छथि। मात्र दू सालक उम्रमे ओ एहि बीमारीसँ ग्रसित भ’ गेल छलाह जेकरा कारण 14 वरख धरि असहनीय पीड़ासँ जुझैत रहलाह।

डॉ. सी.पी ठाकुरक पूरा बचपन कालाजार बीमारीक भेंट चढ़ी गेलनि। एहि लेल डॉ. ठाकुर एहन बीमारीसँ लड़बाक निश्चय कएलनि अछि। ओना आब त’ 90 फीसदीसँ ज्यादा एहि बीमारीकेँ नियंत्रित क’ लेल गेल अछि। हुनका विश्वास छनि जे भविष्यमे कालाजार पूर्ण तरहें खत्म भ’ जायत। अपन गाम भ्रमणक दौरान डॉ. सीपी ठाकुरकेँ संग वैज्ञानिक डॉ. श्याम नारायण, रिसर्च स्कॉलर एसएन पांडेय, तकनीकी सहायक विपिन कुमार सेहो मौजूद छलाह।