कटिहारमे रेलवे ट्रैक पर सेल्फी लेबाक दौरान 2 गोटेक मौत

    0
    300

    कटिहार, मिथिला मिरर: बिहारक कटिहार-बरौनी रेलखंड पर कारी कोसी नदीक ऊपर रेल पुल पर सेल्फी लेबाक चक्करमे ट्रेन सं कटि कए दू गोटेकें मौत भए गेल, जहनकि एकटा लड़का ट्रेनकें आबैत देखि नदीमे कूदिकय जान बचेबाक दौरान घायल भए गेल अछि।

    मृतक आ घायलक पहिचान सहायक थाना क्षेत्रक शिवाजी नगर ललियाहीके रहय वलाके रुपमे भेल अछि। मृतकक नाम रोशन कुमार आ सागीर कुमार बताओल जा रहल अछि, दूनूक उम्र 15 साल अछि।

    घायल लड़काक पहिचान शिवाजी नगर ललियाहीके अनिल पासवानक पुत्र बिट्टु कुमारके रूपमे भेल अछि। मृतककें पोस्टमार्टमके लेल पठाओल जा चुकल अछि, जहनकि घायलक इलाज सदर अस्पतालमे चलि रहल अछि।

    जानकारीके अनुसार 3 दोस्त कारी कोसी नदी पर स्धित रेलवे लाल पुल पर सेल्फी लए रहल छल। अहि बीच बरौनी दिस सं कटिहार आबि रहल नॉर्थ ईस्ट एक्सप्रेस सुपर फास्ट ट्रेन आबि गेल। जा धरि तीनू रेलवे ट्रैक सं हटैत 2 गोटे ट्रेनक चपेटमे आबि गेल।