हावीभौआर घटनाक लेल संजय सरावगीक नेतृत्वमे भाजपाक मशाल जुलुस

    0
    506

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: हावीभौआर कांडक विरोधमे भाजपाक आंदोलन एखनहु जारी अछि। पांच सूत्री मांगक लेल भाजपा विधायक संजय सरावगीक नेतृत्वमे बेता चौक सं लहेरियासराय टॉवर तक मशाल जुलुस निकालल गेल। आंदोलनक संबंधमे विधायक कहलनि जे, पांच सूत्री जांच रिर्पाेट आयुक्तकें सौंपल गेल अछि, जाहि पर कारवाई हेबाक चाही।

    ओ सीधा तौर पर बेनीपुरक एसडीपीओ आ एसडीओकें मुख्य रूप सं जवाबदेह ठहरेलनि। अहि मौका पर सभाकें विधायक संजय सरावगी, पूर्व विधायक अशोक यादव, आदित्य नारायण चौधरी मन्ना, रंगनाथ ठाकुर, अशोक नायक, विधान पार्षद अर्जुन सहनी, विकास चौधरी, धर्मशिला गुप्ता, ज्योति कृष्ण झा लवली आदि संबोधित केलनि।